Popular Posts

Blogger templates

Blogger news

Blogroll

About

Search This Blog

Powered by Blogger.

स्वागत आ अभिनन्दन

हमर एहि व्यक्तिगत ब्लॉग पर सभ गोटेक स्वागत अछि। जेना कि सामाजिक संजालक अन्य माध्यम सँ हमरा सँ जुड़ल प्रायः बहुत गोटेकेँ जनतब होयत जे हम पेशा...

Sunday, March 29, 2020
हमर एहि व्यक्तिगत ब्लॉग पर सभ गोटेक स्वागत अछि। जेना कि सामाजिक संजालक अन्य माध्यम सँ हमरा सँ जुड़ल प्रायः बहुत गोटेकेँ जनतब होयत जे हम पेशा सँ एकटा विधुत अभियंता छी आ साहित्यमे सेहो रुचि अछि तेँ पढ़ाइ-लिखाइ करब हमर हिस्सक बनि गेल अछि। अझुका परिवेशमे जखन सभ किछु डिजिटल भ' रहल अछि तँ ब्लॉगक अनिवार्यता आ उपयोगिताकेँ नहि काटल जा सकैछ तेहन सन स्थिति मे हम सोचलहुँ जे अपन लेखनक किछु अंश एहि माध्यम सँ सेहो अहाँ सभक सोझा राखी। जँ कहियो किछु नीक लिखा गेलैक तँ ओ हमरे लेल नहि अपितु सगर समाजक लेल उपयोगी सिध्द होयत। हमरा पढ़बाक-लिखबाक कतेक अबगति अछि से नहि जानि मुदा एतबा अवस्स अछि जे करब से इमानदारी सँ करब चाहे किछु होइक।

एखन एतबे। जुड़ल रहू, उमेद अछि नीक लागत।

धन्यवाद।